।। मैथिल सेवा संस्थान पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Maithil Seva Sansthan ।। मैथिल सेवा संस्थान पर आपका स्वागत हैं ।। Please visit our Website: www.maithilsevasansthan.org ।।

December 26, 2015

संस्थाक चारिम बैसार (दिनांक 25/12/2015) बैसार स्थल - नरीमन पॉइंट, मुंबई


समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक चारिम बैसार मुंबई केर नरीमन पॉइंट म' भोर १० बजे सँ १ बजे के बीच संपन्न भेल। बैसार के समय भोरक ९ बजे सँ सुनिश्चित छल मुदा बैसार के मुख्य अतिथि के बाट जोहैत - जोहैत १० बजे सँ बैसार सुरु भेल। बैसारक मुख्य अतिथि अंतिम क्षण में सुचना देलखिन जे ओ आबैय में असमर्थ छथिन। कैल्ह केर बैसार में निन्म मुद्दा पर विस्तार सँ चर्चा भेल;

(१) मिशन विस्तार 
(२) पढ़े  मिथिला - बढे मिथिला 
(३) महिला गृह उद्योग 

कैल्ह मुद्दा पर चर्चा सुरु कराइ सँ पहिने सब सदस्य द्वारा "भाई प्रकाश कमती" के स्वागत कायल गेल। एहि संस्थाक निर्माण में प्रकाश कमती भाई के बहुत अहम भूमिका छलैन। पिछला किछ किन पहिने कुनु कारण बस ओ हमरा सभक संग छोइर देना छलाह, संस्था में हुनकर वापसी संस्थाक भविष्य लेल निक संकेत अछि।

(१) मिशन विस्तार - संस्था के कोना आगा बढ़ायल जाय आर एकरा लेल हमरा सभ के की करबाक चाही ? उपरोक्त मुद्दा पर समस्त सदस्य के उपस्थिति में विस्तार पूर्वक चर्चा भेल, जाहि में सर्व सम्मति स इ तय भेल जे मिशन विस्तार के तहत पहिने राज्य स्तर पर टीम बने, ओकर बाद मिथिला म' जिला स्तर पर टीम बने बाद में टीम के विस्तार प्रखंड स्तर तक कायल जाय। मिशन विस्तार के तहत महाराष्ट्र टीम केर निर्माण भेल आर महाराष्ट्र टीम के कार्यकारिणी लेल किछ पद के सेहो आवंटन भेल;

⬅ राज्य कार्यकारिणी ➡

(महाराष्ट्र)

(१) अंजना झा (संरक्षक) 
(२) श्री अमृत झा (अध्यक्ष)
(३) श्री ललन चौधरी (उपाध्यक्ष)
(४) कोषाध्यक्ष
(५) उमेश कमती (सचिव)
(६) श्री प्रकाश कमती (प्रवक्ता)
(७) राज्य मिडिया प्रभारी

राज्य कार्यकारिणी के कार्यकाल पहिल चरण में ९ महीना सुनिश्चित कायल गेल, ९ महीना के बाद कार्यकारिणी के पुनः गठन कायल जायत जेकर कार्यकाल २ बरख रहत। चर्चा के आगू बढ़बैत एहि मुद्दा पर चर्चा सेहो भेल ले मुंबई में आगा सँ बैसार अलग - अलग क्षेत्र में आयोजित कायल जायत। संगे कुनु क्षेत्र के सदस्य यदि चाहैथ की बैसार हुनका क्षेत्र में होय ते हम सब हुनका क्षेत्र में जाय के बैसार करब। 

प्रकाश जीक आगमन सँ बैसार में बेसी चर्चा हुनके संग भेल बाँकी केर मुद्दा (२)  पढ़े मिथिला - बढे मिथिला (३) महिला गृह उद्योग पर सब गोटा अप्पन - अप्पन बात रखलाह मुदा हल कुनो खास निष्कर्ष तक नै पहुच सकल आगामी बैसार में एही मुद्दा पर विस्तृत चर्चा होयत।

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल एक बेर फेर सँ सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम) 

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

संस्थाक चारिम बैसार (दिनांक : 25 /12/2015) बैसार स्थल - नरीमन पॉइंट, मुंबई








December 22, 2015

मिशन विस्तार


सर्वमान्य मैथिल गण ,

जनक, यग्वालय , गौतम , मण्डन , भारती , आयाची , विद्यापति , लोरिक, सलहेश, दीना बद्री के माइट सब दिन स अपन शिक्षा और संस्कृति लेल प्रसिद्ध रहल अछि !

कमला , कोशी , गंडक , कमला बालान , भुतही , अधवारा , बागमती , तिलजुगा , खिरोय , लखनदेई एतेक रास नदी मिल क धरती के सिचैत छैथ  , ओ मिथिला धरती हर क्षेत्र में उर्वरा रहल अछि ,

मुदा मैथिलि के आँगन आई सुन किया अछि , मिथिला के खेत आ दलान सुन किया ?

मैथिलि अपन गति में छैथ मुदा मैथिल ओहि प्रवाह स कात भेल जा रहल छैथ, कारण कि कहु देहाती में एक कहावत अछि ,
" जखने पूत गेल परदेश , देव पितृ सब स गेल "

माई मैथिलि के मोह के छोड़ी मैथिलि पुत्र सब आई सब परदेशी होबा पर मजबूर छैथ, एही में कोनो दु-मत नै जे भी जहाँ छैथ एक - एक गोटे अपन अपन  टैलेंट के बल पर छैथ !

एही टैलेंट सब के सहेज के लेल एक संस्था  अपन डेग बढ़ा रहल अछि, सब मैथिल सब स निवेदन जे माई मैथिलि के सेवा के लेल तैयार होयत इ वट वृक्ष के हिस्सा बनी !!

सोशल मिडिया के दुनिया में अवस्थित असंख्य मैथिल में स किछु मैथिल पुत्र / पुत्री सब मिल क एक संस्था के नीव रखनऊ हे जकड़ नाम अछि "मैथिल सेवा संस्थान " !

संस्था के निर्माण कोनो भी राजनीती स दूर और सामाजिक काज में आगा रहबाक लेल भेल अछि , और एही तरहक सोच रखनिहार मैथिल के जुड़बक लेल आवाह्न करैत अछि , मैथिलि के प्रवाह स दूर होयत मैथिल जन के लेल मैथिल सेवा संस्थान एक निक और कारगर प्लेटफॉर्म सिद्ध होयत !

संस्था अपना विस्तार मिशन के तहत क रहल अछि  जाहि मिशन के नाम अछि "मिशन विस्तार" , एही मिशन के तहत संस्था जहाँ देश के हर राज्य तक पहुंचे के कोशिश क रहल अछि, ओतै मिथिला के हर गाम में पहुंचे , ओहि में संस्था के स्वंय सेवी सब लागल छैथ और सफलता सेहो भेट रहल छैन !

बस अंत में एतबे कहब :

मिथिला माई के पुत्र छी हम, नूतन समाज के सूत्र छी हम,
लक्ष्य विकास के लाइब रहल छी, संगी-सहयोगी ताइक रहल छी !!


धन्यवाद 

दुर्गानाथ झा 
मैथिल सेवा संस्थान 









December 18, 2015

पढ़े मिथिला - बढे मिथिला (भाग - १ )

मिथिला और शिक्षा

शिक्षा के क्षेत्र में मिथिला एक दिन एहन छल जे जकर लोहा स्वंय शंकरचार्य मानने छलाह, ओहि धरती के विद्वता देखि स्वंय भगवन शंकर चाकर बानी एला, जाहि धरती पर कालिदास मुर्ख ज्ञानी बनला, और ज्ञान प्राप्त कालिदास मेघदूत के रचना कएला और ओहि में लिखने छैथ जे "यक्ष बादलो के सहारे अलकापुरी में अपने प्रेमिको को चित्र भेजता है", ओहि समय विज्ञान पुत्र सब ओहि के कवि के कल्पना कहला मुदा आई जखन कोनो सन्देश , चित्र , ऑडियो या वीडियो अपना मोबाइल पर प्राप्त होयत अछि लगैत अछि जे सिर्फ कवि के कल्पना ही नाइ बल्कि मिथिला के विद्व्ता / ज्ञान के प्रकाष्ठा छल जे मिथिला के धरती प्राप्त भेल रहे, मुदा ओहि मिथिला के धरती के आई कि भेल जे सही सब गाम में प्रायमरी स्कूल तक नाइ अछि ?

जाहि गाम के हम सब जहाँ छोड़ी आएल रही ओहि ठाम शायद एक कदम आगा नै बढ़ी पाएल, !
मिथिला आइ शिक्षा के क्षेत्र में पिछड़ किया गेल?

देहाती में एक कहावत अछि जे : जे बिना गुरु के ज्ञान प्राप्त नै होयत अछि !!
आई गुरु के संख्या भी कम रहल अछि मिथिला मेंकारन स्पस्ट अछि - विद्यार्थी सब 12th / इंटर या अधिक अधिक स्नातक पूरा मिथिला पलायन जाइत छैथ (एहु के कारन स्पस्ट अछि एही आगा पढाई के निक / उचित व्यवस्था नै) और जे जहाँ गेला ओहि ठाम के वासी जाइत छैथ और मिथिला फेर अपन नव पीढ़ी के भविष्य के निर्माण में लगी जाइत अछि , पलायन जब तक नै रुकत तब तक मिथिला के हाल में कोनो सुधार नै होएत !

एयर पोर्ट बनाऊ / फिल्म सिटी बनाऊ या स्मार्ट सिटी मुदा समस्या के हल सम्भंव नै अछि , कते बनायब   एयरपोर्ट , फिल्म सिटी , स्मार्ट सिटी , मुदा 5 करोड़ मैथिल के एहि किछु नै होयत, एकर मतलब नै जे सब नै बनबाक चाही , रोजगार के क्षेत्र में सब भेनाइ सेहो जरुरी अछि , लेकिन मूल कारन जे अछि पलायन के बंद नै होयत , ओहो बंद होए ओकर उपाय के सोचे पड़त  हम सब मैथिल के !!

मिथिला में प्रायमरी लक कौशल विकाश के व्यवस्था के लेल "मैथिल सेवा संस्थान" अपन डेग के आगा बढ़ा रहल अछिसंस्था  सोचल - समझल रणनीति (मिशन ) के तहत काज के प्रारम्भ करत, जाहि के  सफलता लेल संस्था के स्वंयसेवी दिन राईत एक केने छैथ !!

मैथिल और मिथिला के बुनियादी असुविधा के ध्यान में राखी अपन भागीरथी प्रयाश   रहल अछि, अपने सब के  सहयोगक आवश्यकता अछि संस्था के !

हर एक मैथिल निवेदन जे अपने सब संस्था के कदम कदम मिला संस्था के ही नै बल्कि सम्पूर्ण मिथिला के मजबूत करी !

अपने सब मिथिला के भविष्य निर्माण में  कम कम के साल दी, संस्था काज के ओहि एक साल में मूल्यांकन करी !

आऊ संस्था के मिशन के हिस्सा बनु - "मिशन पढ़े मिथिला - बढे मिथिला" में अपना सहयोग करी !!

!! जखन पढ़त मिथिला - तखने बढ़त मिथिला !!

धन्यवाद

दुर्गानाथ झा

#मिशन_पढ़े_मिथिला_बढे_मिथिला_ भाग_1


December 07, 2015

संस्थाक दोसर बैसार (दिनांक : 06/12/2015) बैसार स्थल - नरीमन पॉइंट, मुंबई












संस्थाक दोसर बैसार (दिनांक 06/12/2015) बैसार स्थल - नरीमन पॉइंट मुंबई


समस्त सदस्य के हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक दोसर बैसार मुंबई केर नरीमन पॉइंट में दुपहर १२ सँ ५ के बीच संपन्न भेल जाहि में निन्म मुद्दा पर विस्तार सँ चर्चा भेल;

मुद्दा नंबर (१) - संस्था के कोना आगा बढ़ायल जाय आर एकरा लेल हमरा सभ के की करबाक चाही : - उपरोक्त मुद्दा पर समस्त सदस्य के उपस्थिति में विस्तार पूर्वक चर्चा भेल। जाहि में सर्व सम्मति स इ तय भेल जे MSS के आगा बढ़ेबाक लेल निन्म काज पर ध्यान देबाक चाही। 

(क) सोशल मिडिया पर एक्टिवि बढ़ायब 
(ख) इवेंट (जेना रक्तदान शिविर, चिकित्सा शिविर, मुफ्त बच्चा सभ के पढाई में उपयोगी समान केर वितरण) के आयोजन करब
(ग) एरिया बाय एरिया बैसार केर आयोजन करब। आर एक - दुइ प्रारूप राखल गेल जाहि पर अंतिम निर्णय कार्यकारिणी कमिटी केर निर्णय पर निर्भर अछि। 

मुद्दा नंबर (२) - संस्था के आगू बढ़ेबाक लेल फंड केर जोगार कोना कायल जाय : - एहि मुद्दा पर सर्व सम्मति सँ इ तय भेल जे जा धरी संस्थाक पंजीकरण प्रक्रिया पूरा नै होयत कानूनन तौर पर हम सब किनको सहयोग नै ल सकैत छी। पंजीकरण सँ पहिने संस्था का ठाढ़ करबाक लेल कार्यकारिणी केर जतेक सदस्य छैथ ओ ५०० रुपैया / महीना पूरा एक साल तक जमा करता। पंजीकरण भेलाक बाद हम सब बेसी सँ बेसी सदस्य के एहि संस्था संग जोरबाक प्रयाश करब जाहि सँ संस्थाक कोश बढे। पंजीकरण के बाद लोग सब के दान (Donation) देबाक लेल आग्रह सेहो करब। 

मुद्दा नंबर (३) - संस्था केर उद्घाटन कम सँ कम खर्च में कोना कायल जाय : - एहि मुद्दा पर बहुत तरहक चर्चा भेल जाहि में सर्व सम्मति स इ तय भेल जे हम सब उद्घाटन में फालतू के खर्च कराई के बदला स्कुल के बच्चा सब के बीच मुफ्त कॉपी (Notebook), पेन्सिल, कलम के वितरण उद्घाटन दिन करब। वद्घाटन के प्रारूप एहि प्रकारे तय भेल; उद्घाटन के एक दिन पहिने सँ अखंड रामायण पाठ जे २४ घंटा में ख़त्म होयत। अखंड रामायण पाठ ख़त्म भेलाक बाद श्री सत्यनारायण पूजा केर आयोजन पूजा ख़त्म भेला पर महाप्रसाद वितरण आर रात्रि में अतिथि लेल छोट सनक भोज के आयोजन सुनिश्चित भेल। 

मुद्दा नंबर (४) - संस्था केर उदघाटन केर साथ जमीनी स्तर पर कोण काज से सुरुआत कायल जाय :- एहि पर सर्व सम्मति स इ तय भेल जे उद्घाटन के तुरंत बाद हम सब स्कुल के बच्चा सब के बीच मुफ्त कॉपी (Notebook), पेन्सिल, कलम के वितरण करब ओकर बाद जमीनी स्तर पर काज केर सुरुवात करैत एक एहेन गाम के गोद लेब जहि गाम में स्कुल नै होय। गोद लेल गाम मए शिक्षा आर चिकित्सा के जिमेवारी संस्थाक रहत। पहिल चरण में संस्था दरभंगा केर एक गाम गोद लेत, ओहि गाम में यदि संस्था के कार्य निक रहल ते अगला चरण में मिथिलाक सभ जिला सँ एक - एक गाम (बेरा - बेरी) गोद लेबाक सहमति बनल। 

मुद्दा नंबर (५) - पढ़े मिथिला - बढे मिथिला के प्रारूप की होबाक चाही : - एहि पर सब के विचार इ भेल जे (मुद्दा नंबर ४) के तहत संस्था जहि गाम के गोद लेत ओहि गाम के कुनु होनहार विद्यार्थी जिनका आगा पढाई में दिक्कत होइत होय संस्था हुनका आगा पढाई में सहयोग करत मुदा सहयोग लेल एक शर्त रहत ओ शर्त इ जे संस्था जे विद्यार्थी के मदद करत ओय विद्यार्थी कs गाम केर १०-१५ बच्चा के मुफ्त में हर दिन १ सँ २ घंटा केर ट्युसन देबा परत। पढ़े मिथिला - बढे मिथिला के तहत संस्था गाम घर केर स्कुल में कम्प्यूटर शिक्षा केर मुफ्त व्यवस्था पर ध्यान देत मुदा इ एखन सर्वे केलाक बाद तय कायल जायत। पढ़े मिथिला - बढे मिथिला के तहत टैलेंट स्टूडेंट सर्च, कॉलेज सर्वे आर टेस्ट सलेक्शन पर सेहो संस्थाक फोकश रहत। 

मुद्दा नंबर (६) - राष्टीय कार्यकारिणी केर अलावा आब क्षेत्रीय कार्यकारिणी( हर राज्य) केर निर्माण कोना कायल जाय आर ओकर प्रारूप की होबाक चाही :- एहि पर सर्व सम्मति स इ तय भेल जे पिछला शनिवार दिन जे संस्थाक सप्ताहिक बैसार में जे क्षेत्रीय कार्यकारिणी( हर राज्य) के प्रारूप बनल ओ ठीक अछि। 

⬅ राज्य कार्यकारिणी ➡

राज्य प्रभारी / संरक्षक

(१) अध्यक्ष 1
(२) उपाध्यक्ष 1
(३) कोषाध्यक्ष 1
(४) सचिव 2 (जाहि में 1 महिला)
(५) प्रवक्ता 1
(६) राज्य मिडिया प्रभारी

बैसार के अंत में महाराष्ट्र (राज्य कार्यकारिणी) केर निर्माण पर सेहो चर्चा भेल जाहि फलस्वरूप श्री अमृत झा के महाराष्ट्र (राज्य कार्यकारिणी) के अध्यक्ष आर उमेश कमती के महाराष्ट्र (राज्य कार्यकारिणी) के सचिव घोसित कायल गेल संगहि "MSS - मुंबई" नबका Whatsaap ग्रुप केर निर्माण भेल जाहि में आब आगा के पद लेल चर्चा होयत। 

हम सब मुंबई में हरेक महीना एक बैसार के आयोजन करी एहि निर्णय के संग बैसार के समापन भेल। 

मैथिल सेवा संस्थान (टीम)

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।। 

Like MSS on facebook