।। मैथिल सेवा संस्थान पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Maithil Seva Sansthan ।। मैथिल सेवा संस्थान पर आपका स्वागत हैं ।। Please visit our Website: www.maithilsevasansthan.org ।।

May 19, 2016

मैथिल सेवा संस्थान केर बढ़ैत डेग

मित्रगण, आय अपने क' मैथिल सेवा संस्थान द्वारा धरातल पर उतारबाक बाद कायल गेल काज सँ अवगत करबैत छी।


(१) दरभंगाक १२ दिवसीय महायज्ञ (दिनांक : ०३/०४/२०१६) के कलश यात्रा सँ संस्था धरातल पर उतरैत पूरा रास्ता म' श्रद्धालु लेल पेय जल केर व्यवस्था केलक संगहि पूरा यज्ञ में सेहो संस्था मुफ्त पेय जल के स्टॉल लगेलक।

(२) स्वच्छ्ता सभियान (दिनांक : १७/०४/२०१६) - मैथिल सेवा संस्थान (दिल्ली) टीम द्वारा लक्ष्मीनगर, मेट्रो स्टेशन लग स्वच्छ्ता सभियान के आयोजन कायल गेल।


(३) दोल (बाल्टी) आर मग केर वितरण (दिनांक : ०५/०५/२०१६) - जिला दरभंगा केर हनुमाननगर प्रखंडक पटोरी गाम में विकराल अगिलगी सँ प्रभावित ५०० परिवारक बिच मुफ्त दोल (बाल्टी) आर मग केर वितरण कायल गेल।
(४) राहत सामिग्री केर वितरण (दिनांक : ०९/०५/२०१६) - जिला दरभंगा केर हनुमाननगर प्रखंडक पटोरी गाम में विकराल अगिलगी सँ प्रभावित ५०० परिवारक बिच संस्था द्वारा राहत सामिग्री (५ किलो चाउर, १ किलो दाइल आर ५०० ग्राम नीमक/परिवार) केर वितरण कायल गेल।


(५) चिकित्सा शिविर (दिनांक : २९/०५/२०१६) - जिला दरभंगा केर हनुमाननगर प्रखंडक पटोरी गाम में विकराल अगिलगी सँ प्रभावित परिवार लेल दिनांक : २९/०५/२०१६ क' मुफ्त चिकित्सा शिविर के आयोजन होय बला अछि।

(६) मुफ्त शिक्षा केंद्र (बनगाँव, जिला - सहरसा) : जिला सहरसा के बनगाँव गाम म' ८,९ आर १० कक्षा के गरीब विद्यार्थी लेल जल्दे मुफ्त शिक्षा केंद्र केर स्थापना कायल जायत (जाहि पर काज सुरु अछि)
(७) मुफ्त कंप्यूटर शिक्षा केंद्र (दरभंगा) - संस्था दरभंगा म' मुफ्त कंप्यूटर शिक्षा केंद्रक स्थापना लेल विचार क' रहल अछि।

अपने सभक सहयोग अहिना भेटैत रहत ते ओ दिन दूर नै जे इ संस्था मिथिलाक घर - घर तक अप्पन पहुँच बनायत।

हम ते बस एतबे कहब "एक डेग अहाँ उठाऊ एक डेग हम उठाबैत छी - आउ सब मिल मैथिलक दुःख दूर भगाबैत छी"

जय माँ जानकी, जय मिथिला, जय मैथली।

जितमोहन झा (जितू)
राष्ट्रीय मिडिया प्रभारी
मैथिल सेवा संस्थान 

No comments:

Post a Comment

Like MSS on facebook