।। मैथिल सेवा संस्थान पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Maithil Seva Sansthan ।। मैथिल सेवा संस्थान पर आपका स्वागत हैं ।। Please visit our Website: www.maithilsevasansthan.org ।।

July 11, 2016

मन की बात - मनक गप (भाग - 2)

लिअ, मनक गप (भाग - 1)  केर बाद आय फेर सँ मनक गप (भाग - 2) ल'के आयल छी। एहि बेरका मुद्दा अछि "मैथिल आर मिथिलाक प्रति हमरा सभक दायित्व।"

की दिन भरी सोशल मिडिया पर "जय मैथिली - जय मिथिला" करब हमरा सभक अप्पन माटिक प्रति दायित्व बनैत अछि ? दिन भरी हम सब जय मैथिली - जय मिथिला करैत फिरैत छी। जे एक मिथ्या थीक आर किछ नै। अपने क' अप्पन मांटी सँ स्नेह अछि ते माटिक लेल किछु करू।

‘मैथिल सेवा संस्थान’ जे नवयुवक द्वारा नवनिर्मित संस्था छी, जकर एकमात्र  उद्देश्य मिथिलाक घरातल पर पहुँच मैथिलक सहयोग केनाय अछि। एक बीरा उठेलक जे मिथिलाक धरातल पर पहुँच विपत्तिक घरी म' मैथिलक सहयोग करब। जाहिं के सुरुवाती दौर म' नवयुवा सेनानी क' सफलता सेहो भेटल। उदाहरण एहि लिंक : पटोरी अग्नि कांड  पर अछि।

पहिल सफलता क' देखि मैथिल सेवा संस्थान केर युवा सेनानी सभक उत्साह दुई गुना बढ़ल आर युवा सेनानी फेर सँ बाढ़ि एहेन विपत्ति लेल मिथिला म' राहत शिविर लगेबाक लेल आगू अएलाह। दुःखक गप हम जे मैथिल दिन भरी "जय मैथिली - जय मिथिला" करैत फिरैत छैथ ओ सलमान खान केर सुल्तान फ़िल्म देखै म' सौख सँ हजार दू हजार खर्च क' देताह मुदा अप्पन मांटी लेल यदि कुनु सार्थक काज हुवे जे रहल अछि ते सहयोग लेल आगू नै अएताह।

अपने क' बता दी आय यदि मुंबई, दिल्ली या फेर कुनु भी शहर म' विद्यापति समारोह, जानकी जयंती या आन कुनु सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन हुवे ते सहयोग राशि केर बाढ़ि आइब जायत अछि। ओहियो में यदि किनको विशेष अतिथि के नामे आमंत्रण भेजु तेँ लाख दुई लाख केर सहयोग अनेरबे भेट जायत।

सवाल ई उठैत अछि, हम सब जे दिन भरी "जय मैथिली - जय मिथिला" करैत छी ओहि में मांटीक प्रति कतेक स्नेह अछि ? आर यदि स्नेह अछि ते युवा सेनानी यदि किछ करे चाहैत छैथ तेँ हुनका सभक हौसला किएक नै बढ़बैत छी ?

भ' सकैत अछि हम किछ बेसी बाजल होय ओहि लेल माफी चाहैत छी। मुदा एतबा जरूर कहब मिथिला म' जतेक संस्था अछि सिर्फ 'मैथिल सेवा संस्थान' अप्पन काज पुरा पारदर्शिता केर संग करैत अछि। जिनका किनको संस्था के कुनु तरहक आमदनी खर्चक हिसाब लेबाक होयन टीम - मैथिल सेवा संस्थान हुनक स्वागत करत।

किछ सज्जन एहनो भेटला जे कहला की हम पहिने फल्ला संस्था द्वारा द्वारा मुर्ख बनाओल गेल छी। हुनका हम एतबे कहलो आर सब के कहब आन संस्था संग अहाँ की केलहुँ वा संस्था अहाँ के की केलक ओकरा बिसैर एक मैथिल सेवा संस्थान केर युवा सेनानी केर हौसला क' बढाबु आर यदि ई युवा सेनानी सभ अपनेक सोच पर ठाढ़ नै उतरल तखन कहूँ।

अंत म' बस एतबे कहब एक बेर अहियो संस्था पर विश्वास करैत मिथिला म' बाढ़ि शिविर लगेबाक लेल संस्थाक सहयोग करी।

धन्यवाद


जितमोहन झा (जितू)
राष्ट्रीय मिडिया प्रभारी
मैथिल सेवा संस्थान
www.maithilsevasansthan.org  
www.facebook.com/groups/maithilsevasansthan  
E- mail : info@maithilsevasansthan.org   

Like MSS on facebook