।। मैथिल सेवा संस्थान पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Maithil Seva Sansthan ।। मैथिल सेवा संस्थान पर आपका स्वागत हैं ।। Please visit our Website: www.maithilsevasansthan.org ।।

July 11, 2016

मन की बात - मनक गप (भाग - 2)

लिअ, मनक गप (भाग - 1)  केर बाद आय फेर सँ मनक गप (भाग - 2) ल'के आयल छी। एहि बेरका मुद्दा अछि "मैथिल आर मिथिलाक प्रति हमरा सभक दायित्व।"

की दिन भरी सोशल मिडिया पर "जय मैथिली - जय मिथिला" करब हमरा सभक अप्पन माटिक प्रति दायित्व बनैत अछि ? दिन भरी हम सब जय मैथिली - जय मिथिला करैत फिरैत छी। जे एक मिथ्या थीक आर किछ नै। अपने क' अप्पन मांटी सँ स्नेह अछि ते माटिक लेल किछु करू।

‘मैथिल सेवा संस्थान’ जे नवयुवक द्वारा नवनिर्मित संस्था छी, जकर एकमात्र  उद्देश्य मिथिलाक घरातल पर पहुँच मैथिलक सहयोग केनाय अछि। एक बीरा उठेलक जे मिथिलाक धरातल पर पहुँच विपत्तिक घरी म' मैथिलक सहयोग करब। जाहिं के सुरुवाती दौर म' नवयुवा सेनानी क' सफलता सेहो भेटल। उदाहरण एहि लिंक : पटोरी अग्नि कांड  पर अछि।

पहिल सफलता क' देखि मैथिल सेवा संस्थान केर युवा सेनानी सभक उत्साह दुई गुना बढ़ल आर युवा सेनानी फेर सँ बाढ़ि एहेन विपत्ति लेल मिथिला म' राहत शिविर लगेबाक लेल आगू अएलाह। दुःखक गप हम जे मैथिल दिन भरी "जय मैथिली - जय मिथिला" करैत फिरैत छैथ ओ सलमान खान केर सुल्तान फ़िल्म देखै म' सौख सँ हजार दू हजार खर्च क' देताह मुदा अप्पन मांटी लेल यदि कुनु सार्थक काज हुवे जे रहल अछि ते सहयोग लेल आगू नै अएताह।

अपने क' बता दी आय यदि मुंबई, दिल्ली या फेर कुनु भी शहर म' विद्यापति समारोह, जानकी जयंती या आन कुनु सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन हुवे ते सहयोग राशि केर बाढ़ि आइब जायत अछि। ओहियो में यदि किनको विशेष अतिथि के नामे आमंत्रण भेजु तेँ लाख दुई लाख केर सहयोग अनेरबे भेट जायत।

सवाल ई उठैत अछि, हम सब जे दिन भरी "जय मैथिली - जय मिथिला" करैत छी ओहि में मांटीक प्रति कतेक स्नेह अछि ? आर यदि स्नेह अछि ते युवा सेनानी यदि किछ करे चाहैत छैथ तेँ हुनका सभक हौसला किएक नै बढ़बैत छी ?

भ' सकैत अछि हम किछ बेसी बाजल होय ओहि लेल माफी चाहैत छी। मुदा एतबा जरूर कहब मिथिला म' जतेक संस्था अछि सिर्फ 'मैथिल सेवा संस्थान' अप्पन काज पुरा पारदर्शिता केर संग करैत अछि। जिनका किनको संस्था के कुनु तरहक आमदनी खर्चक हिसाब लेबाक होयन टीम - मैथिल सेवा संस्थान हुनक स्वागत करत।

किछ सज्जन एहनो भेटला जे कहला की हम पहिने फल्ला संस्था द्वारा द्वारा मुर्ख बनाओल गेल छी। हुनका हम एतबे कहलो आर सब के कहब आन संस्था संग अहाँ की केलहुँ वा संस्था अहाँ के की केलक ओकरा बिसैर एक मैथिल सेवा संस्थान केर युवा सेनानी केर हौसला क' बढाबु आर यदि ई युवा सेनानी सभ अपनेक सोच पर ठाढ़ नै उतरल तखन कहूँ।

अंत म' बस एतबे कहब एक बेर अहियो संस्था पर विश्वास करैत मिथिला म' बाढ़ि शिविर लगेबाक लेल संस्थाक सहयोग करी।

धन्यवाद


जितमोहन झा (जितू)
राष्ट्रीय मिडिया प्रभारी
मैथिल सेवा संस्थान
www.maithilsevasansthan.org  
www.facebook.com/groups/maithilsevasansthan  
E- mail : info@maithilsevasansthan.org   

May 25, 2016

ऐगलग्गि कांड "जिला दरभंगा केर पटोरी गाम" म' संस्था के आमदनी आर खर्च

‘मैथिल सेवा संस्थान’ जे नवयुवक द्वारा नवनिर्मित संस्था छी जकर एकमात्र  उद्देश्य मिथिलाक घरातल पर पहुँच मैथिलक सहयोग केनाय अछि, किछ दिन पहिने दरभंगा जिलाक पटोरी गाम में भयानक एगलग्गीक घटना घटल छल जाहि सँ लगभग 1600 सँ 1800 परिवारक सभ किछु जड़िके खाक भए गेल छल। एहि ऐगलग्गि कांड म' संस्था सभ सँ पहिने ओहि ठाम पहुँच एगलग्गी सँ प्रभावित 500 लोकक बीच एकटा छोट-छीन सहयोगक मादे आवश्यक सामान आर खाद्य सामग्री जाहि में दोल (बाल्टी), मग, चाउर -दाइल आर नीमक इत्यादि बाँटलक। चुकी संस्था एखन ठाढ़े भेल अछि ताहि लेल संस्था लग फंड के अभाव छल नै ते आर बहुत किछ कायल जे सकैत छल।

सब के बता दी जे ऐगलग्गि कांड सँ प्रभावित लोकक लेल संस्था दिनांक 29/05/2016 के मुफ्त चिकित्सा शिविर के आयोजन सेहो करे जे रहल अछि। 

( एहि काज में संस्था के आमदनी आर खर्च निम्न प्रकारे अछि)


~ : सहयोग करनिहार सदस्य जे एहि काज के पाई सँ सहयोग केलाह : ~ 

(1) चंद्रमोहन झा (सहरसा) - ₹1100
(2) दुर्गानाथ झा (कलकत्ता) - ₹1500
(3) गणेश झा  (दरभंगा) -  ₹2100
(4) सगुन मिश्रा (मुम्बई) - ₹1100
(5) विक्की झा (बैंगलोर) - ₹1500
(6) सन्दीप चौधरी (दिल्ली) - ₹1000
(7) उमेश कमती (मुम्बई) -  ₹501
(8) साजन झा (मुम्बई) -  ₹501
(9) संजीव झा (हिमांचल प्रदेश) - ₹501
(10) रामउदय  राय (नेपाल) - ₹501
(11) मनीष झा (दिल्ली) - ₹501
(12) संजय झा (दिल्ली) - ₹500
(13) विनोद कुमार झा (गुजरात) - ₹501
(14) अमर कुमार (दरभंगा) - ₹501
(15) अनूप झा (दिल्ली) - ₹501
(16)  देव शंकर झा (गुवाहाटी) - ₹501
(17) दिगम्बर शर्मा (मुम्बई) - ₹501
(18) मधुलता मिश्रा (दिल्ली) - ₹500
(19) अजय कुमार झा (नॉएडा) - ₹2500
(20) रंजना झा (मुम्बई) -  ₹ 501
(21) अंजना पाठक (मुम्बई) - ₹ 501
(22) अजित कुमार झा (कोलकाता) - ₹ 1100
(23) राजनारायण झा (दिल्ली) - ₹1100
(24) गोपाल झा (मुम्बई) - ₹ 501
(25) जीवन झा (मुम्बई) - ₹ 501
(26) नितीश आनंद (दरभंगा) - ₹ 501
(27) पंकज चौधरी (दिल्ली) - ₹1000
(28) राज झा (मुम्बई) - ₹ 750
(29) विष्णु यादव (मुम्बई) - ₹ 500
(30) डॉ जी एस झा - ₹16600 (विशुद्धानन्द हॉस्पिटल - लहेरिया सराय)
(31) जितमोहन झा (मुम्बई) - ₹ 501

कुल आमदनी ₹40866/-

हिनका सब क' एहि सहयोगक लेल कोटि - कोटि धन्यवाद दैत आब चलैत छी खर्च दिस।

~: ऐगलग्गि कांड में एकत्रित फंड निम्न मद में खर्च भेल :~ 

(१) 500 परिवारक लेल 5 किलो / प्रति परिवार चाउर ₹21 टक्के किलो कीनल गेल।
(* 5 किलो X 500 परिवार = 2500 किलो) (दाम ₹21 X 2500 किलो = ₹52500/- *)

(२) 500 परिवारक लेल 1 किलो / प्रति परिवार दाइल ₹81 टक्के किलो कीनल गेल।
(* 1 किलो X 500 परिवार = 500 किलो) (दाम ₹81 X 500 किलो = ₹10500/- *)

(३) 500 परिवारक लेल 500 ग्राम / प्रति परिवार नीमक ₹5 टक्के पैकेट कीनल गेल।
(* 500 ग्राम X 500 परिवार = 500 पैकेट) (दाम ₹5 X 500 पैकेट = ₹2500/- *)

(४) 500 परिवारक लेल 500 दोल (बाल्टी) प्रति ₹80 टक्के कीनल गेल।
(* दाम ₹80 X 500 दोल = ₹40000/- *)

(५) 500 परिवारक लेल 500 मग प्रति ₹10 टक्के कीनल गेल।
(* दाम ₹10  X 500 मग = ₹5000/- *)

(६) सब सामिग्री एकट्ठा करे म' कुल भारा ₹1500/- खर्च भेल। 

(७) सब सामिग्री पैकिंग करे म' पैकिंग मैटेरियल में ₹1200/- खर्च भेल। 

सब मिला के कुल खर्च ₹113200/- 

कुल आमदनी ₹40,866/- आर कुल खर्च ₹1,13,200/- ऐगलग्गि कांड में भेल। 

( नोट : पटोरी गाम म' अगामी 29 तारीख क' होय बला "मुफ्त चिकित्सा शिविर के अनुमानित खर्च ₹35,000/- अछि, जकरा एहि लिस्ट में अलग राखल गेल अछि। )

एक बेर फेर सँ संस्था के राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री दुर्गानाथ झा आर मिथिला टीम प्रभारी श्री गणेश झा जी केर आभार व्यक्त करे चाहब जे ओ अपना देख - रेख म' संस्था के जमीनी स्तर पहिल काज संपन्न केलाह।

धन्यवाद...
जय मिथिला। जय मैथिल।  जय मैथिलि।।

जितमोहन झा (जितू)
राष्ट्रीय मिडिया प्रभारी
मैथिल सेवा संस्थान

मोबाईल : +91  7666817725
ईमेल : info@maithilsevasansthan.org


+++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++
+++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++++

दिनांक : 29/05/2016 "मैथिल सेवा संस्थान" आर "विशुद्धानंद हॉस्पिटल" के संयुक्त सहयोग सँ पटोरी गामक ऐगलग्गि सँ पीडितक लोगक बिच "निःशुल्क मेडिकल कैम्प" के आयोजन सफल रहल।

चिकित्सा शिविर म' संस्थाक खर्च :-

शिविर म' दबाई लेल खर्च  -  ₹30000/-
शिविर स्थल पर टेन्ट - ₹1500/-
डॉक्टर आर कार्यकर्त्ता लेल नाश्ता - ₹2500/-
पेय जय आर ठंढा - ₹500/-
अन्य खर्च (बैनर, स्टेशनरी) - ₹500/-

कुल खर्च ₹35000/-

जाहि में "विशुद्धानंद हॉस्पिटल के MD" डॉ. गौरी शंकर झा जी, डॉक्टर सभक टीम के संगे संग दबाई के कुल खर्च ₹30000/- के सहयोग केलाह। एहि शिविर के आयोजन म' संस्था के खर्च मात्र ₹5000/- भेल।

धन्यवाद...

May 19, 2016

मैथिल सेवा संस्थान केर बढ़ैत डेग

मित्रगण, आय अपने क' मैथिल सेवा संस्थान द्वारा धरातल पर उतारबाक बाद कायल गेल काज सँ अवगत करबैत छी।


(१) दरभंगाक १२ दिवसीय महायज्ञ (दिनांक : ०३/०४/२०१६) के कलश यात्रा सँ संस्था धरातल पर उतरैत पूरा रास्ता म' श्रद्धालु लेल पेय जल केर व्यवस्था केलक संगहि पूरा यज्ञ में सेहो संस्था मुफ्त पेय जल के स्टॉल लगेलक।

(२) स्वच्छ्ता सभियान (दिनांक : १७/०४/२०१६) - मैथिल सेवा संस्थान (दिल्ली) टीम द्वारा लक्ष्मीनगर, मेट्रो स्टेशन लग स्वच्छ्ता सभियान के आयोजन कायल गेल।


(३) दोल (बाल्टी) आर मग केर वितरण (दिनांक : ०५/०५/२०१६) - जिला दरभंगा केर हनुमाननगर प्रखंडक पटोरी गाम में विकराल अगिलगी सँ प्रभावित ५०० परिवारक बिच मुफ्त दोल (बाल्टी) आर मग केर वितरण कायल गेल।
(४) राहत सामिग्री केर वितरण (दिनांक : ०९/०५/२०१६) - जिला दरभंगा केर हनुमाननगर प्रखंडक पटोरी गाम में विकराल अगिलगी सँ प्रभावित ५०० परिवारक बिच संस्था द्वारा राहत सामिग्री (५ किलो चाउर, १ किलो दाइल आर ५०० ग्राम नीमक/परिवार) केर वितरण कायल गेल।


(५) चिकित्सा शिविर (दिनांक : २९/०५/२०१६) - जिला दरभंगा केर हनुमाननगर प्रखंडक पटोरी गाम में विकराल अगिलगी सँ प्रभावित परिवार लेल दिनांक : २९/०५/२०१६ क' मुफ्त चिकित्सा शिविर के आयोजन होय बला अछि।

(६) मुफ्त शिक्षा केंद्र (बनगाँव, जिला - सहरसा) : जिला सहरसा के बनगाँव गाम म' ८,९ आर १० कक्षा के गरीब विद्यार्थी लेल जल्दे मुफ्त शिक्षा केंद्र केर स्थापना कायल जायत (जाहि पर काज सुरु अछि)
(७) मुफ्त कंप्यूटर शिक्षा केंद्र (दरभंगा) - संस्था दरभंगा म' मुफ्त कंप्यूटर शिक्षा केंद्रक स्थापना लेल विचार क' रहल अछि।

अपने सभक सहयोग अहिना भेटैत रहत ते ओ दिन दूर नै जे इ संस्था मिथिलाक घर - घर तक अप्पन पहुँच बनायत।

हम ते बस एतबे कहब "एक डेग अहाँ उठाऊ एक डेग हम उठाबैत छी - आउ सब मिल मैथिलक दुःख दूर भगाबैत छी"

जय माँ जानकी, जय मिथिला, जय मैथली।

जितमोहन झा (जितू)
राष्ट्रीय मिडिया प्रभारी
मैथिल सेवा संस्थान 

January 29, 2016

मन की बात - मनक गप (भाग - 1)

हौ बाबू, अप्पन मैथिल समाज के एक परंपरा छै "नै करब आर नै करे देब"

जखन नेना रही तखन हमहुँ सब मीता संग खेलैत घरी छोट - छोट गप पर पूरा खेल बिग़ैर दैत छलौ इ कही के जे "हम नै खेलबो ते तोरो नै खेला देबौ" मुदा नेना बला आदत हमसब मैथिल अंत समय तक नै बिसरैत छी।

देखू ने किछ दिन पहिने हम सब नवयुवक मिल विचार केलहुँ एक संस्था बनबी, जे संस्था विपत्तिक घरी हर मैथिल केर हर प्रकार सँ मदद क' सके, युवा अप्पन एकता देखेलाह आर "मैथिल सेवा संस्थान " संस्था निर्माणक प्रक्रिया सुरु भ' गेल। हौ बाबू, संस्था ठाढ़ो नै भेल की जे गप ऊपर कहलो "नै करब आर नै करे देब" मुद्दा ल' के किछ लोक हाजिर।

दिल्ली के एक संस्था अछि नाम नै कहब, ओय संस्था दिस सँ हमरा फ़ोन आयल जे "मैथिल सेवा संस्थान" नै चलत किएक जे अहाँ सभक पॉलिसी गलत अछि। हम हुनका कहलो यौ सरकार हम अहाँ सँ सुझाव माँगलों जे मुफ्त के सुझाव द' रहल छी ? जखन संस्था ठाढ़ होयत किछ दिन काज करत तखने ने अहाँ अंदाज लगायब जे संस्था चलत की नै चलत ? रहल पॉलिसी बला गप ते हम अपने के बता दी इ संस्था सत - प्रतिसत नवयुवक/नवयुवती के संस्था छी, आर संस्थाक पॉलिसी बनेनिहार कॉलेज सँ ल' के विदेश म' निक पद पर काज करनिहार संस्था केर सब युवा सदस्य छी। आर हमरा दृढ विश्वास अछि समाज सेवा लेल युवा सोच कहियो गलत नै भ' सकैत अछि। फोन करनिहार क' कुनु जबाब नै भेटल ओ फोन कैट देला।

दोसरे दिन एक आर संस्था बला कहैत छैथ "मैथिल सेवा संस्थान" सिर्फ फेसबुकिया आर WhatsAap तक सिमित संस्था छी। यदि नै ते संस्था एखन धरी की सब केलक देखाऊ ? हुनका हम जबाब देलहुँ "मैथिल सेवा संस्थान" के युवा शक्ति आर सोशल मिडिया एक्टिविटी सँ कही अपने सब डरा ते नै गेल छी ? जे कही मैथिल - मिथिलाक नाम पर चलबै बला अपने सभक दोकान बंद नै भ जाय ? अपने आय मैथिल सेवा संस्थान लेल पुछैत छी जे की सब काज केलक देखाऊ जखन की एखन धरी संस्था के पंजीकरण प्रक्रिया तक पूरा नै भेल छैक ? अपने सभक संस्था ते बहुत दिन सँ चैल रहल अछि अपने सभक संस्था एतेक दिन में की सब केलक कहु ? एतबा पूछै के देरी ओ जे परेला दुबारा आय धरी हुनकर दर्शन नै भेल।

एतेक देर "नै करब नै करे देब" पर अप्पन गप रखलों आब अपने के ल' चलैत छी स्वार्थी लोक दिस.....................

हम्मर एक घनिस्ट मित्र छैथ नाम नै कहब हुनका संग हम एक दोसर संस्था म' काज सेहो केना छी, चुकी ओय संस्था के हम बहुत पहिने छोइर देलहुँ ताहि लेल ओय संस्था के वर्तमान स्थिति के हमरा कनिको टा ज्ञान नै। ओ मित्र हम्मर "मैथिल सेवा संस्थान" में अप्पन निक पकर बनेबाक लेल ओय संस्था के सब अंदरुनी गप हमरा संग शेयर केलाह, हम जते सुनलो ओतहिये बिसरलों किएक जे दोसर संस्था में की भ रहल अछि ओहि सँ हमरा कुन सरोकार ?

हौ बाबू, ओय मित्र के मैथिल सेवा संस्थान में जगह देब कीछे दिन भेल की ओ संस्थाक विरुद्ध अभियान सुरु क देलाह। संस्थाक विरुद्ध जेबाक कारण इ जे हुनकर स्वार्थ के सिद्धि मैथिल सेवा संस्थान में नै भेल। आब हम असमंजस में जे अप्पन ई मित्र के कोना संस्था सँ बाहर भगाबी ? फेर एक विचार आयल किएक नै हुनका हुनके गप सँ मारी ? आन संस्था के अंदरुनी गप जे ओ हमरा कहने छलाह ओहि गप के आधार मैन ओहि संस्था विरुद्ध हम हुनका पर अप्पन प्रहार सुरु क' देलों बेचारा नाँगैर ठाढ़ करी परेलाह। बाद में पता चलल जे हमर ओ घनिस्ट मित्र दुनू संस्था में अप्पन पकर मजबूत करबाक लेल दुनू संस्था के अंदरुनी गप एक दोसर संस्था संग शेयर करैत छलाह। एखन वर्तमान में हमर ओ मित्र संस्था छोइर व्यक्तिगत रुपे अप्पन फेसबुक के माध्यम सँ हमरा पर प्रहार क' रहल छैथ। आब अपने सब कहूँ अपने एहेन स्वार्थी लोक कतो देखलौ ???

अंत में बस एतबे कहब मैथिल सेवा संस्थान एखन पूर्ण रुपे ठाढ़ो नै भेल अछि संस्था के ठाढ़ हुवे दियो 6 महीना साल भैर संस्था क' काज करे दियो तखन कियो किछ बाजब, किएक जे एक कहाबत छै यदि हम किनको ऊपर आँगुर उठबैत छी ते तीन आँगुर हमरे दिस उठत।

मिथिला - मैथिल - मैथिली प्रति प्रेम हमरा 2006 सँ अछि, एहि दरमियान जै रुपे भेल हम माँ मिथिला के सेवा केलहुँ आब मैथिलक सेवा लेल डेग उठेना छी एहि सिद्धांत के साथ जे संस्थाक माध्यम सँ यदि हम किछ नै क पेलहुँ ते अप्पन जिनगी व्यर्थ बुझब।

मनक गप में आय एतबे हम फेर मनक गप ल' के आयब, अपने अप्पन बहुमूल्य समय हमर गप सुनै लेल देलहुँ एहि लेल कोटि - कोटि धन्यवाद......


जितमोहन झा (जितू) 
राष्ट्रीय मिडिया प्रभारी 
मैथिल सेवा संस्थान 
www.maithilsevasansthan.org  
www.facebook.com/groups/maithilsevasansthan  
E- mail : info@maithilsevasansthan.org 

January 14, 2016

मकर संक्रांति (कथा-कहानी)


मकर संक्रांति हिंदू धर्म का प्रमुख त्यौहार है। यह पर्व पूरे भारत में किसी न किसी रूप में मनाया जाता है। पौष मास में जब सूर्य मकर राशि पर आता है तब इस संक्रांति को मनाया जाता है।

यह त्यौहार अधिकतर जनवरी माह की चौदह तारीख को मनाया जाता है। कभी-कभी यह त्यौहार बारह, तेरह या पंद्रह को भी हो सकता है, यह इस बात पर निर्भर करता है कि सूर्य कब धनु राशि को छोड़ मकर राशि में प्रवेश करता है। इस दिन से सूर्य की उत्तरायण गति आरंभ होती है और इसी कारण इसको उत्तरायणी भी कहते हैं।

मकर संक्रांति से कई पौराणिक कथाएं जुड़ी हुई हैं।

कहा जाता है कि इस दिन भगवान सूर्य अपने पुत्र शनि से मिलने स्वयं उसके घर जाया करते हैं। शनिदेव चूंकि मकर राशि के स्वामी हैं, अत: इस दिन को मकर संक्रांति के नाम से जाना जाता है।

मकर संक्रांति के दिन ही गंगाजी भागीरथ के पीछे-पीछे चलकर कपिल मुनि के आश्रम से होकर सागर में जा उनसे मिली थीं। यह भी कहा जाता है कि गंगा को धरती पर लाने वाले महाराज भगीरथ ने अपने पूर्वजों के लिए इस दिन तर्पण किया था। उनका तर्पण स्वीकार करने के बाद इस दिन गंगा समुद्र में जाकर मिल गई थी। इसलिए मकर संक्रांति पर गंगा सागर में मेला लगता है।

महाभारत काल के महान योद्धा भीष्म पितामह ने भी अपनी देह त्यागने के लिए मकर संक्रांति का ही चयन किया था।

इस त्यौहार को अलग-अलग प्रांतों में अलग-अलग नाम से मनाया जाता है। मकर संक्रांति को तमिलनाडु में पोंगल के रूप में तो आंध्रप्रदेश, कर्नाटक व केरला में यह पर्व केवल संक्रान्ति के नाम से जाना जाता है।

इस दिन भगवान विष्णु ने असुरों का अंत कर युद्ध समाप्ति की घोषणा की थी व सभी असुरों के सिरों को मंदार पर्वत में दबा दिया था। इस प्रकार यह दिन बुराइयों और नकारात्मकता को खत्म करने का दिन भी माना जाता है।

यशोदा जी ने जब कृष्ण जन्म के लिए व्रत किया था तब सूर्य देवता उत्तरायण काल में पदार्पण कर रहे थे और उस दिन मकर संक्रांति थी। कहा जाता है तभी से मकर संक्रांति व्रत का प्रचलन हुआ।

January 11, 2016

संस्थाक आठम बैसार (दिनांक 10 /01 /2016 ) बैसार स्थल - बेलापुर, नवी मुंबई

समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक आठम बैसार सेक्टर १५ बेलापुर, नवी मुंबई म' दुपहर १२ बजे सँ ०४ बजे के बीच श्रीमती अंजना झा जी केर अध्यक्षता में सम्पन भेल।

आगा बढाई सँ पहिने श्री प्रदीप कुमार चौधरी आर श्री नीरज मिश्रा जी क' बैसार में सम्मिलित भ' बैसार क' सफल बनेबाक लेल कोटि - कोटि धन्यवाद।

बैसार म' उपस्थित सदस्य;

१ - श्रीमती अंजना झा 
२ - श्री प्रदीप कुमार चौधरी 
३ - श्री नीरज मिश्रा 
४ - श्री जितमोहन झा 
५ - सुश्री रंजना झा 
६ - श्री गिरधारी झा 
७ - उमेश कमती 
८ - संतोष कमती 
आर अन्य

बैसारक मुख्य बिंदु जाहि पर चर्चा भेल;

१ - मिथिला म' शिक्षा आर रोजगार 
२ - महिला गृह उद्योग के प्रारूप 
३ - कम्प्यूटर शिक्षा के प्रारूप 
४ - महाराष्ट्र टीम विस्तार 

१ - मिथिला म' शिक्षा आर रोजगार :- कैल्ह श्री प्रदीप कुमार चौधरी आर श्री नीरज मिश्रा जी द्वारा बैसार में एक बहुत सुन्नर प्रोजेक्ट के प्रारूप राखल गेल सब उपस्थित सदस्य के बीच जाहि पर लगभग २ घंटा चर्चा भेल। चुकी हुनकर प्रोजेक्ट कुल ४२ पन्ना के छल ताहि करणे ओहि पर कुनु निष्कर्ष नै बनल। ओहि प्रोजेक्ट पर आगा राष्ट्रिय कार्यकारिणी कमिटी के संग चर्चा होयत।

२ - महिला गृह उद्योग के प्रारूप :- कैल्ह श्री प्रदीप कुमार चौधरी आर श्री नीरज मिश्रा जी द्वारा इ आश्वाशन देल गेज जे यदि संस्था मिथिला में महिला गृह उद्योग क' जल्द सँ जल्द सुरु करत ते ओ सब संस्था लेल पूंजी आर तैयार सामिग्री लेल सम्पूर्ण भारत म' बाजार मुहैया करेता।

३ - कम्प्यूटर शिक्षा के प्रारूप :- कैल्ह केर बैसार म' संस्था मिथिला म' कम्प्यूटर शिक्षा क' कुन रुपे बढ़ावा देत ओकर प्रारूप बनाओल गेल जाहि पर अंतिम फैसला राष्ट्रिय कार्यकारिणी कमिटी लेल सुरक्षित राखल गेल।

४ - महाराष्ट्र टीम विस्तार :- आगामी सरस्वती पूजा के देखैत महाराष्ट्र म' टीम के विस्तार लेल एक प्रोग्राम तैयार कायल गेल जाहि पर अंतिम फैसला सेहो राष्ट्रिय कार्यकारिणी कमिटी लेल सुरक्षित राखल गेल।

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल एक बेर फेर सँ सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम)

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

संस्थाक सातम बैसार (दिनांक 10 /01 /2016 ) बैसार स्थल - अहमदाबाद, गुजरात


समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक सातम बैसार अहमदाबाद, गुजरात म' दुपहर ०२ बजे सँ ०४ बजे के बीच सोनू कुमार झा "आनंद" जीक अध्यक्षता में सम्पन भेल।

बैसार म' उपस्थित सदस्य;

१ - सोनू कुमार झा "आनंद"
२ - विनय झा 
३ - मनीष मिश्रा 
४ - रुपेश मिश्रा 

बैसारक मुख्य बिंदु जाहि पर चर्चा भेल;

१ - टीम विस्तार 
२ - मिशन विस्तार

१ - टीम विस्तार : एहि मुद्दा पर बहुत तरहक चर्चा भेल चर्चाक विषय रहल "MSS - गुजरात" टीम के जतेक सदस्य छैथ सब के बैसार लेल कोना बजाओल जाय कारण बैसार में किछ सदस्य आबैत छैथ किछ नै।

२ - मिशन विस्तार : एहि मुद्दा पर विस्तार पूर्वक चर्चा भेल जे बेसी सँ बेसी मैथिल तक संस्था के कोना पहुँचाओल जाय मुदा कुनु निष्कर्ष नै निकललाक कारण इ मुद्दा अगला बैसार लेल सुरक्षित राखल गेल।

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम)

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

संस्थाक छठम बैसार (दिनांक 10 /01 /2016 ) बैसार स्थल - इस्कॉन ग्राउंड, नेहरू प्लेस, नई दिल्ली


समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक छठम (दिल्ली में पहिल) बैसार इस्कॉन ग्राउंड, नेहरू प्लेस, नई दिल्ली म' दुपहर ०१ बजे सँ ०३ बजे के बीच रोहित यादव जीक अध्यक्षता में सम्पन भेल।

बैसार म' उपस्थित सदस्य;

१ - रोहित यादव 
२ - मनीष कुमार झा 
३ - गिरधर नागर खाँ 

दिल्ली में मैथिल सेवा संस्थान के इ पहिल बैसार छल, जाहि में सब सदस्य केर आपसी कम्युनिकेसन के चलते बहुत रास सदस्य नै पहुँच पेलाह। मैथिल सेवा संस्थान - दिल्ली टीम एहि महीना केर अंत तक एक बैसार फेर सँ आयोजित करत।

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम)

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

January 04, 2016

संस्थाक पाँचम बैसार (दिनांक 03 /01 /2016 ) बैसार स्थल - लहेरियासराय, दरभंगा



समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक पाँचम (मिथिला में पहिल) बैसार मिथिला के हृदयस्थली दरभंगा म' दुपहर ०१ बजे सँ ०३ बजे के बीच श्री अमरनाथ झा "P.G.Deptt. of Maithili, B.R.A. Bihar University, Muzaffarpur." केर अध्यक्षता में सम्पन भेल।

मिथिला टीम के बैसार क' सफल बनबे के लेल # श्री गणेश भाई के सब सँ पहिने धन्यवाद, आर बैसार म' उपस्थित होबाक लेल सम्मानित सदस्य के सेहो कोटि - कोटि धन्यवाद। 

बैसार म' उपस्थित सदस्य;

1. श्री अमरनाथ झा 
2. श्री चंद्रमोहन झा
3. श्री दुर्गानाथ झा
4. श्री मिहित चौधरी
5. श्री गणेश झा
6. श्री प्रकाश चौधरी
7. सुश्री पूजा गुप्ता
8. श्री नितीश कुमार
9. श्री शशिनाथ झा
आर अन्य

बैसारक मुख्य बिंदु जाहि पर चर्चा भेल;

1. मिशन पढ़े मिथिला - बढे मिथिला
2. मिशन विस्तार
3. संस्था के कोष

1. मिशन पढ़े मिथिला - बढे मिथिला :- के लेल संस्था पयलेट प्रोजेक्ट के तहत दरभंगा या आसपास में अपन पहिल कोचिंग सेण्टर 8वाँ सँ ल' के 10वाँ तक खोलत, और चैन सिस्टम स सम्पूर्ण मिथिलांचल में डेग बढ़ैत। श्री अमरनाथ चाचा के द्वारा एक बहुत ही उच्चस्तरीय कार्ययोजना के मार्ग देखाओल गेल जे कार्यकारणी टीम विचार क पारित करत।

2. मिशन विस्तार :- सब गोटे अपन - अपन विचार रखलाह अंत म' इ निष्कर्ष निकलल जे मिथिला टीम एखन २ भाग में काज करत जकर सिमा कोशी रहत, सभ सदस्य के भार देल गेल जे सब गोटे बेसी सँ बेसी लोक तक अगिला 3 महीना में पहुँचबाक प्रयाश करैथ आर संस्था सँ लोक के जोरैथ। 

3. संस्था के कोष :- श्री अमरनाथ चाचा भार लेलाह जे हम संस्था के रजिस्ट्रेशन के बाद दिल्ली जा IT फ्री करायब जाहि सँ आईटी पेयी सब स' हम सब डोनेशन ल' सकैत छी, आर एक कॉपरेटिव के निर्माण पर बात सेहो भेल मुदा समय के अभाव के कारण मुद्दा अगिला मीटिंग के लेल सुरक्षित राखल गेल।

संस्थाक आगामी बैसार मिथिला केर सहरसा म' करबाक ऊपर सेहो चर्चा भेल, जकर तिथि सभ मिथिला टीम सँ विचार केलाक बाद सुनिश्चित कायल जायत। 

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल एक बेर फेर सँ सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम) 

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

Like MSS on facebook