।। मैथिल सेवा संस्थान पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Maithil Seva Sansthan ।। मैथिल सेवा संस्थान पर आपका स्वागत हैं ।। Please visit our Website: www.maithilsevasansthan.org ।।
Showing posts with label Team Meeting. Show all posts
Showing posts with label Team Meeting. Show all posts

January 11, 2016

संस्थाक आठम बैसार (दिनांक 10 /01 /2016 ) बैसार स्थल - बेलापुर, नवी मुंबई

समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक आठम बैसार सेक्टर १५ बेलापुर, नवी मुंबई म' दुपहर १२ बजे सँ ०४ बजे के बीच श्रीमती अंजना झा जी केर अध्यक्षता में सम्पन भेल।

आगा बढाई सँ पहिने श्री प्रदीप कुमार चौधरी आर श्री नीरज मिश्रा जी क' बैसार में सम्मिलित भ' बैसार क' सफल बनेबाक लेल कोटि - कोटि धन्यवाद।

बैसार म' उपस्थित सदस्य;

१ - श्रीमती अंजना झा 
२ - श्री प्रदीप कुमार चौधरी 
३ - श्री नीरज मिश्रा 
४ - श्री जितमोहन झा 
५ - सुश्री रंजना झा 
६ - श्री गिरधारी झा 
७ - उमेश कमती 
८ - संतोष कमती 
आर अन्य

बैसारक मुख्य बिंदु जाहि पर चर्चा भेल;

१ - मिथिला म' शिक्षा आर रोजगार 
२ - महिला गृह उद्योग के प्रारूप 
३ - कम्प्यूटर शिक्षा के प्रारूप 
४ - महाराष्ट्र टीम विस्तार 

१ - मिथिला म' शिक्षा आर रोजगार :- कैल्ह श्री प्रदीप कुमार चौधरी आर श्री नीरज मिश्रा जी द्वारा बैसार में एक बहुत सुन्नर प्रोजेक्ट के प्रारूप राखल गेल सब उपस्थित सदस्य के बीच जाहि पर लगभग २ घंटा चर्चा भेल। चुकी हुनकर प्रोजेक्ट कुल ४२ पन्ना के छल ताहि करणे ओहि पर कुनु निष्कर्ष नै बनल। ओहि प्रोजेक्ट पर आगा राष्ट्रिय कार्यकारिणी कमिटी के संग चर्चा होयत।

२ - महिला गृह उद्योग के प्रारूप :- कैल्ह श्री प्रदीप कुमार चौधरी आर श्री नीरज मिश्रा जी द्वारा इ आश्वाशन देल गेज जे यदि संस्था मिथिला में महिला गृह उद्योग क' जल्द सँ जल्द सुरु करत ते ओ सब संस्था लेल पूंजी आर तैयार सामिग्री लेल सम्पूर्ण भारत म' बाजार मुहैया करेता।

३ - कम्प्यूटर शिक्षा के प्रारूप :- कैल्ह केर बैसार म' संस्था मिथिला म' कम्प्यूटर शिक्षा क' कुन रुपे बढ़ावा देत ओकर प्रारूप बनाओल गेल जाहि पर अंतिम फैसला राष्ट्रिय कार्यकारिणी कमिटी लेल सुरक्षित राखल गेल।

४ - महाराष्ट्र टीम विस्तार :- आगामी सरस्वती पूजा के देखैत महाराष्ट्र म' टीम के विस्तार लेल एक प्रोग्राम तैयार कायल गेल जाहि पर अंतिम फैसला सेहो राष्ट्रिय कार्यकारिणी कमिटी लेल सुरक्षित राखल गेल।

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल एक बेर फेर सँ सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम)

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

संस्थाक सातम बैसार (दिनांक 10 /01 /2016 ) बैसार स्थल - अहमदाबाद, गुजरात


समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक सातम बैसार अहमदाबाद, गुजरात म' दुपहर ०२ बजे सँ ०४ बजे के बीच सोनू कुमार झा "आनंद" जीक अध्यक्षता में सम्पन भेल।

बैसार म' उपस्थित सदस्य;

१ - सोनू कुमार झा "आनंद"
२ - विनय झा 
३ - मनीष मिश्रा 
४ - रुपेश मिश्रा 

बैसारक मुख्य बिंदु जाहि पर चर्चा भेल;

१ - टीम विस्तार 
२ - मिशन विस्तार

१ - टीम विस्तार : एहि मुद्दा पर बहुत तरहक चर्चा भेल चर्चाक विषय रहल "MSS - गुजरात" टीम के जतेक सदस्य छैथ सब के बैसार लेल कोना बजाओल जाय कारण बैसार में किछ सदस्य आबैत छैथ किछ नै।

२ - मिशन विस्तार : एहि मुद्दा पर विस्तार पूर्वक चर्चा भेल जे बेसी सँ बेसी मैथिल तक संस्था के कोना पहुँचाओल जाय मुदा कुनु निष्कर्ष नै निकललाक कारण इ मुद्दा अगला बैसार लेल सुरक्षित राखल गेल।

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम)

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

संस्थाक छठम बैसार (दिनांक 10 /01 /2016 ) बैसार स्थल - इस्कॉन ग्राउंड, नेहरू प्लेस, नई दिल्ली


समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक छठम (दिल्ली में पहिल) बैसार इस्कॉन ग्राउंड, नेहरू प्लेस, नई दिल्ली म' दुपहर ०१ बजे सँ ०३ बजे के बीच रोहित यादव जीक अध्यक्षता में सम्पन भेल।

बैसार म' उपस्थित सदस्य;

१ - रोहित यादव 
२ - मनीष कुमार झा 
३ - गिरधर नागर खाँ 

दिल्ली में मैथिल सेवा संस्थान के इ पहिल बैसार छल, जाहि में सब सदस्य केर आपसी कम्युनिकेसन के चलते बहुत रास सदस्य नै पहुँच पेलाह। मैथिल सेवा संस्थान - दिल्ली टीम एहि महीना केर अंत तक एक बैसार फेर सँ आयोजित करत।

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम)

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

January 04, 2016

संस्थाक पाँचम बैसार (दिनांक 03 /01 /2016 ) बैसार स्थल - लहेरियासराय, दरभंगा



समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक पाँचम (मिथिला में पहिल) बैसार मिथिला के हृदयस्थली दरभंगा म' दुपहर ०१ बजे सँ ०३ बजे के बीच श्री अमरनाथ झा "P.G.Deptt. of Maithili, B.R.A. Bihar University, Muzaffarpur." केर अध्यक्षता में सम्पन भेल।

मिथिला टीम के बैसार क' सफल बनबे के लेल # श्री गणेश भाई के सब सँ पहिने धन्यवाद, आर बैसार म' उपस्थित होबाक लेल सम्मानित सदस्य के सेहो कोटि - कोटि धन्यवाद। 

बैसार म' उपस्थित सदस्य;

1. श्री अमरनाथ झा 
2. श्री चंद्रमोहन झा
3. श्री दुर्गानाथ झा
4. श्री मिहित चौधरी
5. श्री गणेश झा
6. श्री प्रकाश चौधरी
7. सुश्री पूजा गुप्ता
8. श्री नितीश कुमार
9. श्री शशिनाथ झा
आर अन्य

बैसारक मुख्य बिंदु जाहि पर चर्चा भेल;

1. मिशन पढ़े मिथिला - बढे मिथिला
2. मिशन विस्तार
3. संस्था के कोष

1. मिशन पढ़े मिथिला - बढे मिथिला :- के लेल संस्था पयलेट प्रोजेक्ट के तहत दरभंगा या आसपास में अपन पहिल कोचिंग सेण्टर 8वाँ सँ ल' के 10वाँ तक खोलत, और चैन सिस्टम स सम्पूर्ण मिथिलांचल में डेग बढ़ैत। श्री अमरनाथ चाचा के द्वारा एक बहुत ही उच्चस्तरीय कार्ययोजना के मार्ग देखाओल गेल जे कार्यकारणी टीम विचार क पारित करत।

2. मिशन विस्तार :- सब गोटे अपन - अपन विचार रखलाह अंत म' इ निष्कर्ष निकलल जे मिथिला टीम एखन २ भाग में काज करत जकर सिमा कोशी रहत, सभ सदस्य के भार देल गेल जे सब गोटे बेसी सँ बेसी लोक तक अगिला 3 महीना में पहुँचबाक प्रयाश करैथ आर संस्था सँ लोक के जोरैथ। 

3. संस्था के कोष :- श्री अमरनाथ चाचा भार लेलाह जे हम संस्था के रजिस्ट्रेशन के बाद दिल्ली जा IT फ्री करायब जाहि सँ आईटी पेयी सब स' हम सब डोनेशन ल' सकैत छी, आर एक कॉपरेटिव के निर्माण पर बात सेहो भेल मुदा समय के अभाव के कारण मुद्दा अगिला मीटिंग के लेल सुरक्षित राखल गेल।

संस्थाक आगामी बैसार मिथिला केर सहरसा म' करबाक ऊपर सेहो चर्चा भेल, जकर तिथि सभ मिथिला टीम सँ विचार केलाक बाद सुनिश्चित कायल जायत। 

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल एक बेर फेर सँ सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम) 

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

December 26, 2015

संस्थाक चारिम बैसार (दिनांक 25/12/2015) बैसार स्थल - नरीमन पॉइंट, मुंबई


समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक चारिम बैसार मुंबई केर नरीमन पॉइंट म' भोर १० बजे सँ १ बजे के बीच संपन्न भेल। बैसार के समय भोरक ९ बजे सँ सुनिश्चित छल मुदा बैसार के मुख्य अतिथि के बाट जोहैत - जोहैत १० बजे सँ बैसार सुरु भेल। बैसारक मुख्य अतिथि अंतिम क्षण में सुचना देलखिन जे ओ आबैय में असमर्थ छथिन। कैल्ह केर बैसार में निन्म मुद्दा पर विस्तार सँ चर्चा भेल;

(१) मिशन विस्तार 
(२) पढ़े  मिथिला - बढे मिथिला 
(३) महिला गृह उद्योग 

कैल्ह मुद्दा पर चर्चा सुरु कराइ सँ पहिने सब सदस्य द्वारा "भाई प्रकाश कमती" के स्वागत कायल गेल। एहि संस्थाक निर्माण में प्रकाश कमती भाई के बहुत अहम भूमिका छलैन। पिछला किछ किन पहिने कुनु कारण बस ओ हमरा सभक संग छोइर देना छलाह, संस्था में हुनकर वापसी संस्थाक भविष्य लेल निक संकेत अछि।

(१) मिशन विस्तार - संस्था के कोना आगा बढ़ायल जाय आर एकरा लेल हमरा सभ के की करबाक चाही ? उपरोक्त मुद्दा पर समस्त सदस्य के उपस्थिति में विस्तार पूर्वक चर्चा भेल, जाहि में सर्व सम्मति स इ तय भेल जे मिशन विस्तार के तहत पहिने राज्य स्तर पर टीम बने, ओकर बाद मिथिला म' जिला स्तर पर टीम बने बाद में टीम के विस्तार प्रखंड स्तर तक कायल जाय। मिशन विस्तार के तहत महाराष्ट्र टीम केर निर्माण भेल आर महाराष्ट्र टीम के कार्यकारिणी लेल किछ पद के सेहो आवंटन भेल;

⬅ राज्य कार्यकारिणी ➡

(महाराष्ट्र)

(१) अंजना झा (संरक्षक) 
(२) श्री अमृत झा (अध्यक्ष)
(३) श्री ललन चौधरी (उपाध्यक्ष)
(४) कोषाध्यक्ष
(५) उमेश कमती (सचिव)
(६) श्री प्रकाश कमती (प्रवक्ता)
(७) राज्य मिडिया प्रभारी

राज्य कार्यकारिणी के कार्यकाल पहिल चरण में ९ महीना सुनिश्चित कायल गेल, ९ महीना के बाद कार्यकारिणी के पुनः गठन कायल जायत जेकर कार्यकाल २ बरख रहत। चर्चा के आगू बढ़बैत एहि मुद्दा पर चर्चा सेहो भेल ले मुंबई में आगा सँ बैसार अलग - अलग क्षेत्र में आयोजित कायल जायत। संगे कुनु क्षेत्र के सदस्य यदि चाहैथ की बैसार हुनका क्षेत्र में होय ते हम सब हुनका क्षेत्र में जाय के बैसार करब। 

प्रकाश जीक आगमन सँ बैसार में बेसी चर्चा हुनके संग भेल बाँकी केर मुद्दा (२)  पढ़े मिथिला - बढे मिथिला (३) महिला गृह उद्योग पर सब गोटा अप्पन - अप्पन बात रखलाह मुदा हल कुनो खास निष्कर्ष तक नै पहुच सकल आगामी बैसार में एही मुद्दा पर विस्तृत चर्चा होयत।

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल एक बेर फेर सँ सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम) 

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

December 07, 2015

संस्थाक दोसर बैसार (दिनांक 06/12/2015) बैसार स्थल - नरीमन पॉइंट मुंबई


समस्त सदस्य के हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक दोसर बैसार मुंबई केर नरीमन पॉइंट में दुपहर १२ सँ ५ के बीच संपन्न भेल जाहि में निन्म मुद्दा पर विस्तार सँ चर्चा भेल;

मुद्दा नंबर (१) - संस्था के कोना आगा बढ़ायल जाय आर एकरा लेल हमरा सभ के की करबाक चाही : - उपरोक्त मुद्दा पर समस्त सदस्य के उपस्थिति में विस्तार पूर्वक चर्चा भेल। जाहि में सर्व सम्मति स इ तय भेल जे MSS के आगा बढ़ेबाक लेल निन्म काज पर ध्यान देबाक चाही। 

(क) सोशल मिडिया पर एक्टिवि बढ़ायब 
(ख) इवेंट (जेना रक्तदान शिविर, चिकित्सा शिविर, मुफ्त बच्चा सभ के पढाई में उपयोगी समान केर वितरण) के आयोजन करब
(ग) एरिया बाय एरिया बैसार केर आयोजन करब। आर एक - दुइ प्रारूप राखल गेल जाहि पर अंतिम निर्णय कार्यकारिणी कमिटी केर निर्णय पर निर्भर अछि। 

मुद्दा नंबर (२) - संस्था के आगू बढ़ेबाक लेल फंड केर जोगार कोना कायल जाय : - एहि मुद्दा पर सर्व सम्मति सँ इ तय भेल जे जा धरी संस्थाक पंजीकरण प्रक्रिया पूरा नै होयत कानूनन तौर पर हम सब किनको सहयोग नै ल सकैत छी। पंजीकरण सँ पहिने संस्था का ठाढ़ करबाक लेल कार्यकारिणी केर जतेक सदस्य छैथ ओ ५०० रुपैया / महीना पूरा एक साल तक जमा करता। पंजीकरण भेलाक बाद हम सब बेसी सँ बेसी सदस्य के एहि संस्था संग जोरबाक प्रयाश करब जाहि सँ संस्थाक कोश बढे। पंजीकरण के बाद लोग सब के दान (Donation) देबाक लेल आग्रह सेहो करब। 

मुद्दा नंबर (३) - संस्था केर उद्घाटन कम सँ कम खर्च में कोना कायल जाय : - एहि मुद्दा पर बहुत तरहक चर्चा भेल जाहि में सर्व सम्मति स इ तय भेल जे हम सब उद्घाटन में फालतू के खर्च कराई के बदला स्कुल के बच्चा सब के बीच मुफ्त कॉपी (Notebook), पेन्सिल, कलम के वितरण उद्घाटन दिन करब। वद्घाटन के प्रारूप एहि प्रकारे तय भेल; उद्घाटन के एक दिन पहिने सँ अखंड रामायण पाठ जे २४ घंटा में ख़त्म होयत। अखंड रामायण पाठ ख़त्म भेलाक बाद श्री सत्यनारायण पूजा केर आयोजन पूजा ख़त्म भेला पर महाप्रसाद वितरण आर रात्रि में अतिथि लेल छोट सनक भोज के आयोजन सुनिश्चित भेल। 

मुद्दा नंबर (४) - संस्था केर उदघाटन केर साथ जमीनी स्तर पर कोण काज से सुरुआत कायल जाय :- एहि पर सर्व सम्मति स इ तय भेल जे उद्घाटन के तुरंत बाद हम सब स्कुल के बच्चा सब के बीच मुफ्त कॉपी (Notebook), पेन्सिल, कलम के वितरण करब ओकर बाद जमीनी स्तर पर काज केर सुरुवात करैत एक एहेन गाम के गोद लेब जहि गाम में स्कुल नै होय। गोद लेल गाम मए शिक्षा आर चिकित्सा के जिमेवारी संस्थाक रहत। पहिल चरण में संस्था दरभंगा केर एक गाम गोद लेत, ओहि गाम में यदि संस्था के कार्य निक रहल ते अगला चरण में मिथिलाक सभ जिला सँ एक - एक गाम (बेरा - बेरी) गोद लेबाक सहमति बनल। 

मुद्दा नंबर (५) - पढ़े मिथिला - बढे मिथिला के प्रारूप की होबाक चाही : - एहि पर सब के विचार इ भेल जे (मुद्दा नंबर ४) के तहत संस्था जहि गाम के गोद लेत ओहि गाम के कुनु होनहार विद्यार्थी जिनका आगा पढाई में दिक्कत होइत होय संस्था हुनका आगा पढाई में सहयोग करत मुदा सहयोग लेल एक शर्त रहत ओ शर्त इ जे संस्था जे विद्यार्थी के मदद करत ओय विद्यार्थी कs गाम केर १०-१५ बच्चा के मुफ्त में हर दिन १ सँ २ घंटा केर ट्युसन देबा परत। पढ़े मिथिला - बढे मिथिला के तहत संस्था गाम घर केर स्कुल में कम्प्यूटर शिक्षा केर मुफ्त व्यवस्था पर ध्यान देत मुदा इ एखन सर्वे केलाक बाद तय कायल जायत। पढ़े मिथिला - बढे मिथिला के तहत टैलेंट स्टूडेंट सर्च, कॉलेज सर्वे आर टेस्ट सलेक्शन पर सेहो संस्थाक फोकश रहत। 

मुद्दा नंबर (६) - राष्टीय कार्यकारिणी केर अलावा आब क्षेत्रीय कार्यकारिणी( हर राज्य) केर निर्माण कोना कायल जाय आर ओकर प्रारूप की होबाक चाही :- एहि पर सर्व सम्मति स इ तय भेल जे पिछला शनिवार दिन जे संस्थाक सप्ताहिक बैसार में जे क्षेत्रीय कार्यकारिणी( हर राज्य) के प्रारूप बनल ओ ठीक अछि। 

⬅ राज्य कार्यकारिणी ➡

राज्य प्रभारी / संरक्षक

(१) अध्यक्ष 1
(२) उपाध्यक्ष 1
(३) कोषाध्यक्ष 1
(४) सचिव 2 (जाहि में 1 महिला)
(५) प्रवक्ता 1
(६) राज्य मिडिया प्रभारी

बैसार के अंत में महाराष्ट्र (राज्य कार्यकारिणी) केर निर्माण पर सेहो चर्चा भेल जाहि फलस्वरूप श्री अमृत झा के महाराष्ट्र (राज्य कार्यकारिणी) के अध्यक्ष आर उमेश कमती के महाराष्ट्र (राज्य कार्यकारिणी) के सचिव घोसित कायल गेल संगहि "MSS - मुंबई" नबका Whatsaap ग्रुप केर निर्माण भेल जाहि में आब आगा के पद लेल चर्चा होयत। 

हम सब मुंबई में हरेक महीना एक बैसार के आयोजन करी एहि निर्णय के संग बैसार के समापन भेल। 

मैथिल सेवा संस्थान (टीम)

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।। 

Like MSS on facebook