।। मैथिल सेवा संस्थान पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Maithil Seva Sansthan ।। मैथिल सेवा संस्थान पर आपका स्वागत हैं ।। Please visit our Website: www.maithilsevasansthan.org ।।

December 07, 2015

संस्थाक दोसर बैसार (दिनांक 06/12/2015) बैसार स्थल - नरीमन पॉइंट मुंबई


समस्त सदस्य के हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक दोसर बैसार मुंबई केर नरीमन पॉइंट में दुपहर १२ सँ ५ के बीच संपन्न भेल जाहि में निन्म मुद्दा पर विस्तार सँ चर्चा भेल;

मुद्दा नंबर (१) - संस्था के कोना आगा बढ़ायल जाय आर एकरा लेल हमरा सभ के की करबाक चाही : - उपरोक्त मुद्दा पर समस्त सदस्य के उपस्थिति में विस्तार पूर्वक चर्चा भेल। जाहि में सर्व सम्मति स इ तय भेल जे MSS के आगा बढ़ेबाक लेल निन्म काज पर ध्यान देबाक चाही। 

(क) सोशल मिडिया पर एक्टिवि बढ़ायब 
(ख) इवेंट (जेना रक्तदान शिविर, चिकित्सा शिविर, मुफ्त बच्चा सभ के पढाई में उपयोगी समान केर वितरण) के आयोजन करब
(ग) एरिया बाय एरिया बैसार केर आयोजन करब। आर एक - दुइ प्रारूप राखल गेल जाहि पर अंतिम निर्णय कार्यकारिणी कमिटी केर निर्णय पर निर्भर अछि। 

मुद्दा नंबर (२) - संस्था के आगू बढ़ेबाक लेल फंड केर जोगार कोना कायल जाय : - एहि मुद्दा पर सर्व सम्मति सँ इ तय भेल जे जा धरी संस्थाक पंजीकरण प्रक्रिया पूरा नै होयत कानूनन तौर पर हम सब किनको सहयोग नै ल सकैत छी। पंजीकरण सँ पहिने संस्था का ठाढ़ करबाक लेल कार्यकारिणी केर जतेक सदस्य छैथ ओ ५०० रुपैया / महीना पूरा एक साल तक जमा करता। पंजीकरण भेलाक बाद हम सब बेसी सँ बेसी सदस्य के एहि संस्था संग जोरबाक प्रयाश करब जाहि सँ संस्थाक कोश बढे। पंजीकरण के बाद लोग सब के दान (Donation) देबाक लेल आग्रह सेहो करब। 

मुद्दा नंबर (३) - संस्था केर उद्घाटन कम सँ कम खर्च में कोना कायल जाय : - एहि मुद्दा पर बहुत तरहक चर्चा भेल जाहि में सर्व सम्मति स इ तय भेल जे हम सब उद्घाटन में फालतू के खर्च कराई के बदला स्कुल के बच्चा सब के बीच मुफ्त कॉपी (Notebook), पेन्सिल, कलम के वितरण उद्घाटन दिन करब। वद्घाटन के प्रारूप एहि प्रकारे तय भेल; उद्घाटन के एक दिन पहिने सँ अखंड रामायण पाठ जे २४ घंटा में ख़त्म होयत। अखंड रामायण पाठ ख़त्म भेलाक बाद श्री सत्यनारायण पूजा केर आयोजन पूजा ख़त्म भेला पर महाप्रसाद वितरण आर रात्रि में अतिथि लेल छोट सनक भोज के आयोजन सुनिश्चित भेल। 

मुद्दा नंबर (४) - संस्था केर उदघाटन केर साथ जमीनी स्तर पर कोण काज से सुरुआत कायल जाय :- एहि पर सर्व सम्मति स इ तय भेल जे उद्घाटन के तुरंत बाद हम सब स्कुल के बच्चा सब के बीच मुफ्त कॉपी (Notebook), पेन्सिल, कलम के वितरण करब ओकर बाद जमीनी स्तर पर काज केर सुरुवात करैत एक एहेन गाम के गोद लेब जहि गाम में स्कुल नै होय। गोद लेल गाम मए शिक्षा आर चिकित्सा के जिमेवारी संस्थाक रहत। पहिल चरण में संस्था दरभंगा केर एक गाम गोद लेत, ओहि गाम में यदि संस्था के कार्य निक रहल ते अगला चरण में मिथिलाक सभ जिला सँ एक - एक गाम (बेरा - बेरी) गोद लेबाक सहमति बनल। 

मुद्दा नंबर (५) - पढ़े मिथिला - बढे मिथिला के प्रारूप की होबाक चाही : - एहि पर सब के विचार इ भेल जे (मुद्दा नंबर ४) के तहत संस्था जहि गाम के गोद लेत ओहि गाम के कुनु होनहार विद्यार्थी जिनका आगा पढाई में दिक्कत होइत होय संस्था हुनका आगा पढाई में सहयोग करत मुदा सहयोग लेल एक शर्त रहत ओ शर्त इ जे संस्था जे विद्यार्थी के मदद करत ओय विद्यार्थी कs गाम केर १०-१५ बच्चा के मुफ्त में हर दिन १ सँ २ घंटा केर ट्युसन देबा परत। पढ़े मिथिला - बढे मिथिला के तहत संस्था गाम घर केर स्कुल में कम्प्यूटर शिक्षा केर मुफ्त व्यवस्था पर ध्यान देत मुदा इ एखन सर्वे केलाक बाद तय कायल जायत। पढ़े मिथिला - बढे मिथिला के तहत टैलेंट स्टूडेंट सर्च, कॉलेज सर्वे आर टेस्ट सलेक्शन पर सेहो संस्थाक फोकश रहत। 

मुद्दा नंबर (६) - राष्टीय कार्यकारिणी केर अलावा आब क्षेत्रीय कार्यकारिणी( हर राज्य) केर निर्माण कोना कायल जाय आर ओकर प्रारूप की होबाक चाही :- एहि पर सर्व सम्मति स इ तय भेल जे पिछला शनिवार दिन जे संस्थाक सप्ताहिक बैसार में जे क्षेत्रीय कार्यकारिणी( हर राज्य) के प्रारूप बनल ओ ठीक अछि। 

⬅ राज्य कार्यकारिणी ➡

राज्य प्रभारी / संरक्षक

(१) अध्यक्ष 1
(२) उपाध्यक्ष 1
(३) कोषाध्यक्ष 1
(४) सचिव 2 (जाहि में 1 महिला)
(५) प्रवक्ता 1
(६) राज्य मिडिया प्रभारी

बैसार के अंत में महाराष्ट्र (राज्य कार्यकारिणी) केर निर्माण पर सेहो चर्चा भेल जाहि फलस्वरूप श्री अमृत झा के महाराष्ट्र (राज्य कार्यकारिणी) के अध्यक्ष आर उमेश कमती के महाराष्ट्र (राज्य कार्यकारिणी) के सचिव घोसित कायल गेल संगहि "MSS - मुंबई" नबका Whatsaap ग्रुप केर निर्माण भेल जाहि में आब आगा के पद लेल चर्चा होयत। 

हम सब मुंबई में हरेक महीना एक बैसार के आयोजन करी एहि निर्णय के संग बैसार के समापन भेल। 

मैथिल सेवा संस्थान (टीम)

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।। 

No comments:

Post a Comment

Like MSS on facebook