।। मैथिल सेवा संस्थान पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Maithil Seva Sansthan ।। मैथिल सेवा संस्थान पर आपका स्वागत हैं ।। Please visit our Website: www.maithilsevasansthan.org ।।

December 26, 2015

संस्थाक चारिम बैसार (दिनांक 25/12/2015) बैसार स्थल - नरीमन पॉइंट, मुंबई


समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक चारिम बैसार मुंबई केर नरीमन पॉइंट म' भोर १० बजे सँ १ बजे के बीच संपन्न भेल। बैसार के समय भोरक ९ बजे सँ सुनिश्चित छल मुदा बैसार के मुख्य अतिथि के बाट जोहैत - जोहैत १० बजे सँ बैसार सुरु भेल। बैसारक मुख्य अतिथि अंतिम क्षण में सुचना देलखिन जे ओ आबैय में असमर्थ छथिन। कैल्ह केर बैसार में निन्म मुद्दा पर विस्तार सँ चर्चा भेल;

(१) मिशन विस्तार 
(२) पढ़े  मिथिला - बढे मिथिला 
(३) महिला गृह उद्योग 

कैल्ह मुद्दा पर चर्चा सुरु कराइ सँ पहिने सब सदस्य द्वारा "भाई प्रकाश कमती" के स्वागत कायल गेल। एहि संस्थाक निर्माण में प्रकाश कमती भाई के बहुत अहम भूमिका छलैन। पिछला किछ किन पहिने कुनु कारण बस ओ हमरा सभक संग छोइर देना छलाह, संस्था में हुनकर वापसी संस्थाक भविष्य लेल निक संकेत अछि।

(१) मिशन विस्तार - संस्था के कोना आगा बढ़ायल जाय आर एकरा लेल हमरा सभ के की करबाक चाही ? उपरोक्त मुद्दा पर समस्त सदस्य के उपस्थिति में विस्तार पूर्वक चर्चा भेल, जाहि में सर्व सम्मति स इ तय भेल जे मिशन विस्तार के तहत पहिने राज्य स्तर पर टीम बने, ओकर बाद मिथिला म' जिला स्तर पर टीम बने बाद में टीम के विस्तार प्रखंड स्तर तक कायल जाय। मिशन विस्तार के तहत महाराष्ट्र टीम केर निर्माण भेल आर महाराष्ट्र टीम के कार्यकारिणी लेल किछ पद के सेहो आवंटन भेल;

⬅ राज्य कार्यकारिणी ➡

(महाराष्ट्र)

(१) अंजना झा (संरक्षक) 
(२) श्री अमृत झा (अध्यक्ष)
(३) श्री ललन चौधरी (उपाध्यक्ष)
(४) कोषाध्यक्ष
(५) उमेश कमती (सचिव)
(६) श्री प्रकाश कमती (प्रवक्ता)
(७) राज्य मिडिया प्रभारी

राज्य कार्यकारिणी के कार्यकाल पहिल चरण में ९ महीना सुनिश्चित कायल गेल, ९ महीना के बाद कार्यकारिणी के पुनः गठन कायल जायत जेकर कार्यकाल २ बरख रहत। चर्चा के आगू बढ़बैत एहि मुद्दा पर चर्चा सेहो भेल ले मुंबई में आगा सँ बैसार अलग - अलग क्षेत्र में आयोजित कायल जायत। संगे कुनु क्षेत्र के सदस्य यदि चाहैथ की बैसार हुनका क्षेत्र में होय ते हम सब हुनका क्षेत्र में जाय के बैसार करब। 

प्रकाश जीक आगमन सँ बैसार में बेसी चर्चा हुनके संग भेल बाँकी केर मुद्दा (२)  पढ़े मिथिला - बढे मिथिला (३) महिला गृह उद्योग पर सब गोटा अप्पन - अप्पन बात रखलाह मुदा हल कुनो खास निष्कर्ष तक नै पहुच सकल आगामी बैसार में एही मुद्दा पर विस्तृत चर्चा होयत।

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल एक बेर फेर सँ सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम) 

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

No comments:

Post a Comment

Like MSS on facebook