।। मैथिल सेवा संस्थान पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Maithil Seva Sansthan ।। मैथिल सेवा संस्थान पर आपका स्वागत हैं ।। Please visit our Website: www.maithilsevasansthan.org ।।

January 04, 2016

संस्थाक पाँचम बैसार (दिनांक 03 /01 /2016 ) बैसार स्थल - लहेरियासराय, दरभंगा



समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक पाँचम (मिथिला में पहिल) बैसार मिथिला के हृदयस्थली दरभंगा म' दुपहर ०१ बजे सँ ०३ बजे के बीच श्री अमरनाथ झा "P.G.Deptt. of Maithili, B.R.A. Bihar University, Muzaffarpur." केर अध्यक्षता में सम्पन भेल।

मिथिला टीम के बैसार क' सफल बनबे के लेल # श्री गणेश भाई के सब सँ पहिने धन्यवाद, आर बैसार म' उपस्थित होबाक लेल सम्मानित सदस्य के सेहो कोटि - कोटि धन्यवाद। 

बैसार म' उपस्थित सदस्य;

1. श्री अमरनाथ झा 
2. श्री चंद्रमोहन झा
3. श्री दुर्गानाथ झा
4. श्री मिहित चौधरी
5. श्री गणेश झा
6. श्री प्रकाश चौधरी
7. सुश्री पूजा गुप्ता
8. श्री नितीश कुमार
9. श्री शशिनाथ झा
आर अन्य

बैसारक मुख्य बिंदु जाहि पर चर्चा भेल;

1. मिशन पढ़े मिथिला - बढे मिथिला
2. मिशन विस्तार
3. संस्था के कोष

1. मिशन पढ़े मिथिला - बढे मिथिला :- के लेल संस्था पयलेट प्रोजेक्ट के तहत दरभंगा या आसपास में अपन पहिल कोचिंग सेण्टर 8वाँ सँ ल' के 10वाँ तक खोलत, और चैन सिस्टम स सम्पूर्ण मिथिलांचल में डेग बढ़ैत। श्री अमरनाथ चाचा के द्वारा एक बहुत ही उच्चस्तरीय कार्ययोजना के मार्ग देखाओल गेल जे कार्यकारणी टीम विचार क पारित करत।

2. मिशन विस्तार :- सब गोटे अपन - अपन विचार रखलाह अंत म' इ निष्कर्ष निकलल जे मिथिला टीम एखन २ भाग में काज करत जकर सिमा कोशी रहत, सभ सदस्य के भार देल गेल जे सब गोटे बेसी सँ बेसी लोक तक अगिला 3 महीना में पहुँचबाक प्रयाश करैथ आर संस्था सँ लोक के जोरैथ। 

3. संस्था के कोष :- श्री अमरनाथ चाचा भार लेलाह जे हम संस्था के रजिस्ट्रेशन के बाद दिल्ली जा IT फ्री करायब जाहि सँ आईटी पेयी सब स' हम सब डोनेशन ल' सकैत छी, आर एक कॉपरेटिव के निर्माण पर बात सेहो भेल मुदा समय के अभाव के कारण मुद्दा अगिला मीटिंग के लेल सुरक्षित राखल गेल।

संस्थाक आगामी बैसार मिथिला केर सहरसा म' करबाक ऊपर सेहो चर्चा भेल, जकर तिथि सभ मिथिला टीम सँ विचार केलाक बाद सुनिश्चित कायल जायत। 

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल एक बेर फेर सँ सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम) 

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

No comments:

Post a Comment

Like MSS on facebook