।। मैथिल सेवा संस्थान पर अपनेक स्वागत अछि ।। Welcome to Maithil Seva Sansthan ।। मैथिल सेवा संस्थान पर आपका स्वागत हैं ।। Please visit our Website: www.maithilsevasansthan.org ।।

January 11, 2016

संस्थाक आठम बैसार (दिनांक 10 /01 /2016 ) बैसार स्थल - बेलापुर, नवी मुंबई

समस्त सदस्य क' हर्ष के संग सूचित क रहल छी जे कैल्ह संस्थाक आठम बैसार सेक्टर १५ बेलापुर, नवी मुंबई म' दुपहर १२ बजे सँ ०४ बजे के बीच श्रीमती अंजना झा जी केर अध्यक्षता में सम्पन भेल।

आगा बढाई सँ पहिने श्री प्रदीप कुमार चौधरी आर श्री नीरज मिश्रा जी क' बैसार में सम्मिलित भ' बैसार क' सफल बनेबाक लेल कोटि - कोटि धन्यवाद।

बैसार म' उपस्थित सदस्य;

१ - श्रीमती अंजना झा 
२ - श्री प्रदीप कुमार चौधरी 
३ - श्री नीरज मिश्रा 
४ - श्री जितमोहन झा 
५ - सुश्री रंजना झा 
६ - श्री गिरधारी झा 
७ - उमेश कमती 
८ - संतोष कमती 
आर अन्य

बैसारक मुख्य बिंदु जाहि पर चर्चा भेल;

१ - मिथिला म' शिक्षा आर रोजगार 
२ - महिला गृह उद्योग के प्रारूप 
३ - कम्प्यूटर शिक्षा के प्रारूप 
४ - महाराष्ट्र टीम विस्तार 

१ - मिथिला म' शिक्षा आर रोजगार :- कैल्ह श्री प्रदीप कुमार चौधरी आर श्री नीरज मिश्रा जी द्वारा बैसार में एक बहुत सुन्नर प्रोजेक्ट के प्रारूप राखल गेल सब उपस्थित सदस्य के बीच जाहि पर लगभग २ घंटा चर्चा भेल। चुकी हुनकर प्रोजेक्ट कुल ४२ पन्ना के छल ताहि करणे ओहि पर कुनु निष्कर्ष नै बनल। ओहि प्रोजेक्ट पर आगा राष्ट्रिय कार्यकारिणी कमिटी के संग चर्चा होयत।

२ - महिला गृह उद्योग के प्रारूप :- कैल्ह श्री प्रदीप कुमार चौधरी आर श्री नीरज मिश्रा जी द्वारा इ आश्वाशन देल गेज जे यदि संस्था मिथिला में महिला गृह उद्योग क' जल्द सँ जल्द सुरु करत ते ओ सब संस्था लेल पूंजी आर तैयार सामिग्री लेल सम्पूर्ण भारत म' बाजार मुहैया करेता।

३ - कम्प्यूटर शिक्षा के प्रारूप :- कैल्ह केर बैसार म' संस्था मिथिला म' कम्प्यूटर शिक्षा क' कुन रुपे बढ़ावा देत ओकर प्रारूप बनाओल गेल जाहि पर अंतिम फैसला राष्ट्रिय कार्यकारिणी कमिटी लेल सुरक्षित राखल गेल।

४ - महाराष्ट्र टीम विस्तार :- आगामी सरस्वती पूजा के देखैत महाराष्ट्र म' टीम के विस्तार लेल एक प्रोग्राम तैयार कायल गेल जाहि पर अंतिम फैसला सेहो राष्ट्रिय कार्यकारिणी कमिटी लेल सुरक्षित राखल गेल।

बैसार में उपस्थित होयबाक लेल एक बेर फेर सँ सब गोटे के धन्यवाद.....

मैथिल सेवा संस्थान (टीम)

जय मिथिला। जय मैथिल। जय मैथिलि।।

No comments:

Post a Comment

Like MSS on facebook